ब्रेस्टफीडिंग के महत्व की होए छै? | Importance of Breastfeeding in Maithili | Dr Priyanka Jha
About this video
स्तनपान या ब्रेस्टफीडिंग बच्चा के मां के दूध पिलेनाय होए छै। बच्चा के जन्म के बाद 6 मास के लेल विशेष रूप स एकर अनुशंसा कैल जाय छै। स्तन के दूध ओ सबटा खाद्य आ पेय पदार्थ छै जेकर अहां के बच्चा के जरूरत होए छै । ई शिशु आ मां दूनू के स्वास्थ्य के लेल लाभ दायक होए छै। मां के दूध बच्चा के आदर्श पोषण प्रदान करैत छै आ बच्चा के विकास म सहायता करैत छै। स्तनपान बच्चा आ मां के किच्छू बीमारियक आ संक्रमण स बचाव म सेहो मदद कैर सकएय छै। त, एकर सही तरीका की होए छै? एकरा बारे म किछु आम मिथक की होए छै? आउ, डॉ प्रियंका झा, पीडीअट्रिशन (बच्चों के विशेषज्ञ) स अहि बारे म बेसी जानकारी प्राप्त करु।